To Listen This Bhajan 👇
छठ भजन
सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ,
हे घूमइछा संसार, हे घूमइछा संसार
सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ,
हे घूमइछा संसार, हे घूमइछा संसार
आन दिन उगइछा हो दीनानाथ,
आहे भोर भिनसार, आहे भोर भिनसार
आजू के दिनवा हो दीनानाथ,
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर
बाट में भेटिए गेल गे अबला,
एकटा अन्हरा पुरुष, एकटा अन्हरा पुरुष
अंखिया दियेते गे अबला,
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर
बाट में भेटिए गेल गे अबला,
एकटा बाझिनिया, एकटा बाझिनिया
बालक दियेते गे अबला,
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर
बाट में भेटिए गेल गे अबला,
एकटा कोडिया पुरुष, एकटा कोडिया पुरुष
कायावा की एइते गे अबला,
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
